शहिद राणके छतिसम् स्मृति दिवस भव्य समारोहबीच भेल


नटराज टाइमास । मिथिलाभूमिके धनुषाली सपुतमहान शहिद सूर्यनाथ राण यादवके छतिसम् स्मृति दिवस विशाल जनसमूहबीच मनाओल गेल छै ।

धनुषा जिलाके पूर्वीक्षेत्र शहिदनगर पालिका अन्तर्गत शहिद राणकेँ स्मृति दिवस भव्यतासंग मनाओल गेल छै ।नेकपा माओवादी केन्द्रव्दारा स्मृति दिवस आयोजन कएल गेल छल ।

माओवादीस’ सम्बद्ध शनपाके मेयर उदयकुमार बरबरिया यादवके सभापतित्वमे सोम दिन कार्यक्रम भेल ।

माओवादी केन्द्रके केन्द्रिय सचिवालय सदस्य एवं पूर्व उपप्रधानमन्त्री , गृह एवं परराष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ आजुक कार्यक्रममे बिशेष अतिथि छलाह ।‘‘आइस’ ३५ वर्ष पहिने आजुके दिनमे शहिद राणके तत्कालीन शासन व्यवस्थामे राज्यपक्षक लोकव्दारा हत्या कए परलोक पठा दिअके काज भेल छल । देशमे संघीय लोकतान्त्रिक गाण्तन्त्र आएल ओहिमे स्वर्गिय राणके पैघ योगदान रहल छै ।

गरीब दिनहिनकेपक्षमे सदैब स्वर बूलन्त करैत आएल राणसन योद्धाकेँ देनके हमरासभ कहियो नइ बिसैर सकैत छी ।’’ राष्ट्रीयसभा सदस्य समेत रहल श्रेष्ठ अपन सम्बोधनमे कहलाह । शहिद राणके पूर्णकद एवं स्वर्ण रंगके आकर्षक प्रतिमा सेहो अनावरण कएलगेल छै ।

स्मृति दिवसके कार्यक्रममे प्रदेश-२ के आन्तरिक मामिला तथा संचार राज्यमन्त्री रुबि कर्ण , पार्टीके सहइन्चार्जव्दय बिश्वनाथ साह, महेन्द्र पासवान, केन्द्रिय सदस्य एवं धनुषा इन्चार्ज श्रवणकुमार बरबरिया यादव, पूर्वमन्त्री अजयशंकर नायक,सामेल छलाह ।

धनुषा जिला पार्टी सचिब दिपक यादव, कर्जनहा नगर पालिकाके मेयर गंगा पासवान,रामरिझन यादव, झल्कु यादव,रामकुमार शर्मा, धनगढीमाई नपाके मेयर उपमेयर सहित पार्टी सम्बद्ध प्रदेशसदस्य, जिला सदस्य एवं जनबर्गिय संगठनके पदाधिकारीसभ एवं सर्वसाधारण लोक करमान लागल छल ।


Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Related Articles

Back to top button