यदुकूहामे रेबिज उपचार शुरुः कुकुर,नढि़या,खटाउंस कटलापर दोसरठाम दौग नइ पड़त


नटराज टाईम्स । धनुषा जिलाके पूर्वीक्षेत्रके शहिदनगर यदुकूहा स्थित स्वास्थ्य केन्द्रमे रेबिज रोग बिरुद्ध सूईया दिअके ब्यवस्था आइस’ कएलगेल छै ।

शहिदनगर नगर पालिकाके साकारात्मक प्रयासस’आब अपने क्षेत्रमे लोकके रेबिज बिरुद्धके सूईया-दबाईके व्यवस्था कएलगेल जनतब मेयर उदय बरबरिया यादव देलाह ।नपा अधिन स्वास्थ्य केन्द्रमे अहिस’ पहिने रेबिजके सूइया दिअके व्यवस्था नइ छल ।

नगर-टोलमे कुकुर,नढि़या, खटाउंस, सपनौर, बिलड़ा-बिलाई कटला पर ओकर उपचार लेल लोक ६कोस दूर सदरमुकाम जनकपुरधाम आबलेल बाध्य होए पड़ैत छल ।

रेबिजके सूईया लगबाब लेल लोकके जनकपुर आएब बाध्यता आब हटल छै । मङ्गलदिनस’ यदूकूहा स्वास्थ्य केन्द्रमे नढि़या कूकूर आदि कटला पर सम्पूर्ण उपचार सहित रेबिज सूइया दिअके काज शुरु कएलगेल छै ।

विश्व रेविज दिवसके अवसरमे शहिदनगर न.पा. वार्डनं.३ यदुकुहा स्थित प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्रमे रेबिजके उपचार आइस’ सम्भव कएल गेल छै ।

आब समयमे लोक उपचार कराबमे लागत आ समय,अर्थ आ फिरसानीस’ सेहो बांचत । अइ नेक काजके श्रेय निश्चित खरुपस’ युवा मेयर बरबरियाकेँ जाइत छै लोक हुनक बेस प्रशंसा कएरहल छै ।


Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Related Articles

Back to top button